दरभंगा मे वरिष्ठ अधिवक्ताक घर दिनदहाड़े फायरिंग

    0
    250

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहारक दरभंगा मे अपराधी दिनदहाड़े शहरक एकटा वरिष्ठ वकील तंत्रनाथ ठाकुरक घर गोलीबारीक घटना के अंजाम देलक। वारदात शहरक बलभद्रपुर मोहल्लाक अछि। दिनदहाड़े फायरिंग के बाद इलाका मे दहशत अछि। पुलिस मौका पर पहुंच कय छह गोटे के हिरासत मे लय पूछताछ कय रहल अछि।

    पुलिस वकीलक घर सं एकटा अवैध ऑटोमैटिक बन्दुकक संग-संग जिन्दा कारतूस सेहो बरामद केलक अछि। घटनाक पाछुक कारण वकील के नाती रंजीतक दोस्त सं पुरान दुश्मनी बताओल जा रहल अछि। वकील तंत्रनाथ ठाकुरक घर भेल अहि वारदात के बाद दरभंगाक एएसपी दिलनवाज़ अहमद सेहो जांचक लेल पहुँच गेलाह।

    पुलिस पूरा मामलाक जाँच मे जुटल अछि आ अन्य लोकक धकपकड़के लेल छापेमाकी कायल जा रहल अछि।