समस्तीपुर मे रोजगार उपलब्ध करेबाक लेल 400 करोड़ रुपैयाक अनुदान

    0
    494

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक सहकारिता मंत्री आलोक कुमार मेहता कहलनि जे, सहकारिताक माध्यम सं लोक के रोजगार उपलब्ध करेबाक लेल समस्तीपुर जिला के चारि सौ करोड़ रुपैया देल जायत।

    आलोक मेहता शनिदिन नगर भवन मे सहकारिता बैंक द्वारा आयोजित वार्षिक आम सभा के संबोधित करैत कहलनि जे, सहकारिता एकटा आन्दोलन अछि। ओ कहलनि जे, योजनाक तहत समस्तीपुर जिला के शामिल कायल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, अहि योजनाक तहत जिला मे बकरी एवं मत्स्य पालन, डेयरी आ मुर्गी दाना फैक्ट्री समेत अन्य क्षेत्र मे रोजगार उपलब्ध कराओल जायत।