रियोमे ऐतिहासिक जीत, फाइनलमे पहुंचली पीवी सिंधु

    0
    275

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः पहलवान साक्षी मलिक द्वारा कांस्य जितलाक बाद आब भारतक लेल एकटा आओर पदक पक्का भए गेल। बृहस्पतिदिन महिला बैटमिंटनकें सेमीफाइनलमे जीत दर्ज कए पीवी सिंधु एकटा नव इतिहास लिखी देलनि। पीवी सिंधु जापानी खिलाड़ी नोजोमी ओकुहाराकें सीधा सेटमे हराकए भारत खातामे कम सं कम रजत पदक त पक्का कए देलनि।
    विश्व बैटमिंटन चैंपियमशिपमे दू बेर कांस्य पदक विजेता रहल पीवी सिंधु जपानक आॅल इंगलैंड बैटमिंटन चैंपियनकें मात्र 49 मीनटमे 21-19, 21-10 सं परास्त कए फाइनलक लेल अपन टिकट सुरक्षित कैलनि। वर्तमानमे दसम नंबरक खिलाड़ी पीवी सिंधुक मुकाबला शुक्रदिन विश्वक नंबर एक खिलाड़ी आ दू बेरक विश्व चैंपियन स्पेनकें कारोलिना मारिन सं हेतनि। हालांकि क्वार्टरफाइनल आ सेमीफाइनलक जीतकें बाद पीवी सिंधुक विश्वास सामत आसमान पर छन्हि आ एहनमे जौं ओ सुझ-बुझक संग अपन खेल देखौतीह त हुनका स्वर्ण पदक जीतवामे कियो नहि रोइक सकैत छन्हि।
    पीवी सिंधुक जीत पर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी प्रसन्नता व्यक्त करैत सिंधुकें शुभकामना देलनि। आब संपूर्ण देशवासीक ध्यान अहि बात पर टिकल अछि कि शुक्रदिन पीवी सिंधु व्यक्तिगत प्रतिस्पर्धामे निशानेबाज अभिनव बिंद्राक रिकार्डकें दोहरावैत कोनो एकल स्पर्धामे स्वर्ण पदक भारत कें दियौतिह की नहि। मुदा सिंधुक अहि ऐतिहासिक कीर्तिमान सं देशक सीना निश्चित रूपसं आउर बेसी पुष्ट भए गेल अछि। सिंधुकें मिथिला मिररक टीमक दिससं कोटि सह बधाई आ स्वर्ण पदक जीतवाक लेल शक्तिक कामना।