प्रो. एस के सिंह बनलाह ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें नब कुलपति

    0
    274

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बीएचयू प्रबंध शास्त्र संकायकें पूर्व संकाय प्रमुख एस के सिंहकें ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें नव कुलपति नियुक्त कएल गेल अछि। राज्यपाल रामनाथ कोविँद दिस सं हुनका अहि बातक जानकारी देल गेलनि। प्रो सिंह नेपालमे आईसीसीआर चेयरपर्सन सेहो रहि चुकल छथि।

    अहिकें अलावा संकाय प्रमुख, चीफ प्रोक्टार आ बीएचयूके दक्षिण परिसर बरकछा’क कोर ग्रूप चयेरमेन सेहो रहि चुकल छथि। सिंह यूपी कॉलेज सं इंटरमिडियेट पढाईकें बाद बीएचयू’क विज्ञान संकाय सं बीएससी भौतिकीमे डिग्री लेलनि। अहिकें बाद एमबीए’क पढाई केलनि आ प्रबंध शास्त्र संकाय सं पीएचडी सेहो केलनि। इस के सिंह बुधदिनकेँ बाद प्रभार ग्रहण करताह।

    प्रो. सिंह कहलनि जे, बतौर कुलपति हमर पहिल प्रथमिकता छात्रक हितके अनुरूप शैक्षणिक व्यवस्थाकें बेहतर बनेबाक रहत। ओ कहलनि जे, महामनाके आँगनमे पढ़ने छी, यैह हमर कर्म स्थली बनल, ताहि दुआरे महामना’क सोच आ विश्वविद्यालयकें गरिमाक अनुरूप काज करब।