पटना पहुँचलाह राष्ट्रपति, गर्मजोशी सं भेल स्वागत

    0
    325

    पटना, मिथिला मिरर: राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी बिहारक दू दिना दौरा पर शुक्रदिन साँझ मे पटना पहुँचलाह। नालंदा यूनिवर्सिटी के पहिल दीक्षांत समारोह मे हिस्सा लेबाक लेल साँझ साढ़े सात बजे एयरफोर्स के विशेष विमान स राष्ट्रपति पटना पहुचलाह।

    बिहार के राज्यपाल रामनाथ कोविंद, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव समेत बहुतो मंत्री हवाई अड्डा पर हुनकर स्वागत के लेल आयल छलाह।

    विधानसभा अध्यक्ष विजय चौधरी आ नेता प्रतिपक्ष सुशील मोदी समेत अन्य नेतागण सेहो गुलदस्ता देय क राष्ट्रपति के स्वागत केलनि। राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी शुक्रदिन राति राजभवन मे रात्रि विश्राम केलाह। राष्ट्रपति शनिदिन भोरे नालंदाक लेल रवाना हेताह, जतय नालंदा विश्वविद्यालय के दीक्षांत समारोह मे हिस्सा लेताह।