डाक विभागक ‘भर्ती घोटाला’ के जांच करबाक लेल मुजफ्फरपुर पहुंचल विजिलेंसक टीम

    0
    294

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर समेत पूरा बिहार मे डाक विभाग मे ग्रामीण डाक सेवक आ डाक सहायकक पद पर भेल गलत बहालीक जांच तेज भय गेल अछि। डाक विभागक विजिलेंस के एडीजी अहि मामला मे जांचक लेल पटनाक बाद बुधदिन मुजफ्फरपुर पहुंचि गेल। मुजफ्फरपुर के प्रवर डाक अधीक्षक प्रवीण कुमारक कार्यालय मे महत्वपूर्ण दस्तावेजक एडीजी जांच शुरू कय देलनि।

    साल 2008 स 2015 के बीच मुजफ्फरपुर सहित बिहार के विभिन्न जिला मे डाक विभाग मे पैघ पैमाना पर फर्जी दस्तावेजक आधार पर अधिकारीक कार्यालय स्तर पर नियुक्ति कायल गेल छल। फर्जी बहाली मामला मे पहिने सं सीबीआई बहुतो अधिकारी के खिलाफ चार्जशीट दायर कय चुकल अछि। सूचना के अधिकारक तहत बहुतो अहम जानकारी भेटलाक बाद राष्ट्रपति स लय कय प्रधानमंत्री धरि तक फर्जीवाड़ा के शिकायत कायल गेल छल।

    मानल जा रहल अछि जे, 5 हजार स अधिक नियुक्ति फर्जी तरीका सं बिहार मे कायल गेल छल, जाहि मे करोड़ोक लेन-देन अधिकारी केलक अछि।