नोटबंदी के विरोध मे दरभंगा मे कांग्रेस फूंकलक प्रधानमंत्री’क पुतला

    0
    363

    दरभंगा, मिथिला मिरर: जिला कांग्रेस कमिटी द्वारा जिलाध्यक्ष सीताराम चौधरीक अध्यक्षता मे बृहस्पति दिन दुपहर मे लहेरियासराय टावर पर प्रधानमंत्री’क पुतला दहन कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। पुतला दहन के बाद पत्रकार सं बात करैत सीताराम चौधरी केंद्र सरकार के नोटबंदीक फैसला के खिलाफ कहलनि जे, केंद्र सरकार नोटबंदीक फैसला जल्दबाजी मे लेलक अछि।

    दरभंगा जिला के गरीब आ किसानक दू समयक भोजन नहि भेट पबैत अछि। लोक मरि रहल अछि आ केंद्र सरकार सुतल अछि। कार्यक्रम मे उपाध्यक्ष मनोज झा, युवा कांग्रेस के प्रदेश सचिव रतिकांत झा, पूर्व मेयर अजय जलान, वरिष्ठ कांग्रेसी पालन चौधरी, गुलाम शहीद, हशमत अली, मो. अबरार, शिवनारायण पासवान, सुरेश राम सहित सैकड़ो कांग्रेसी कार्यकर्ता उपस्थित छल।