झारखण्डक पूर्व मुख्यमंत्री आ राज्यसभा सांसद (दिशोम गुरु) शिबू सोरेनक निधन

0
2

पटना, मिथिला मिरर, स्नेहा झा: झामुमो राष्ट्रीय अध्यक्ष दिशोम गुरु शिबू सोरेनक निधन सँ देशभर मे शोकक लहर पसरि गेल अछि, आइ भोरे-भोर 81 सालक उम्र मे दिल्ली केँ सर गंगाराम अस्पताल मे अंतिम स्वास लेलनि। राष्ट्रपति आ पीएम मोदी गंगाराम अस्पताल पहुँच शिबू सोरेन केँ श्रद्धांजलि देलनि। कांग्रेस अध्यक्ष खड़गे, मीसा भारती, मनोज झा सेहो अस्पताल पहुँच परिवार सँ भेटघाट कयलनि आ श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि संगहि देशभरि सँ लोक सभ हुनका श्रद्धांजलि अर्पित क रहल छथि। झारखण्डक पूर्व मुख्यमंत्री सह राज्यसभा सांसद केँ निधनक बाद झारखंड विधानसभा केँ मानसून सत्र अनिश्चित कालक लेल स्थगित कयल गेल संगहि तीन दिनक लेल राजकीय शोक घोषित कयल गेल। झारखंडक तमाम नेता-मंत्री शिबू सोरेनक निधन पर शोक व्यक्त करैत श्रद्धांजलि द रहल छथि। सोरेनक पार्थिव शरीर दिल्ली सँ राँची आनल गेल आ मंगलदिन रामगढ़क नेमरा गाम मे शिबू सोरेनक अंतिम संस्कार कयल जायत आ छोट पुत्र बसंत सोरेन मुखाग्नि देथिन। सोरेन पछिला डेढ़ महिना सँ अस्पताल मे भर्ती रहथि हुनका ब्रेन स्ट्रोक भेल रहनि हुनकर शरीरक बामा भाग पैरालाइस्ड भ गेल रहनि आ पछिला एक महिना सँ लाइफ सपोर्ट सिस्टम पर रहथि। किडनीक बीमारी सँ सेहो लंबा समय सँ परेशान छलथि, नयूरोलॉजी, कार्डियोलॉजी आ नेर्फोलॉजी केँ डॉक्टर सभक टीम हुनकर इलाज क रहल छल। सोरेन एक साल सँ डायलिसिस पर रहथि आ हार्टक बायपास सर्जरी सेहो भेल छल कुल मिला क स्वास्थयक दृष्टिए स्थिति गंभीर छलनि।