घूस लैत कैमरा मे कैद भेल पटना पुलिसक दरोगा

    0
    299

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना मे पदस्थापित एकटा दरोगाक घूसखोरी कैमरा मे कैद भेलाक बाद बिहार पुलिस के चरित्र पर एक बेर फेर सं प्रश्न चिन्ह लागि गेल। दरोगा के नाम गजेन्द्र सिंह अछि, जे कि कदमकुआं थाना मे पदस्थापित अछि। दरअसल प्रेम-प्रसंग स जुड़ल एकटा मामला मे दरोगा गजेन्द्र सिंह कैमरा मे घूसक रकम लेत कैद भय गेल अछि।

    अपराधी के खिलाफ कारर्वाई मे फिसड्डी रहय वला पुलिस आय बहुत लोकक संग महिला के सेहो रेपक आरोपी बनाबैत केस दर्ज केलक अछि। अहि के बाद नरेश कुमार शाह नामक एकटा आरोपी के जबरदस्ती थाना आनल गेल आ कुल 29 हजार रुपैया वसूली कायल गेल।

    हरजाना वसूलय वला दरोगा के करतूत कैमरा मे कैद अछि, जकरा स्वं पीड़ित अप्पन मोबाइल सं शूट केलक अछि। मामला जहन एसएसपी मनु महराज के समीप पहुँचल त अपन अधिकारीक अहि करतूत के देखि कय मनु महराज सेहो सख्त भय गेलाह, आ मामलाक जाँच करबाक आदेश देलनि।