28 मई कए होएत पटना नगर निकाय चुनावक लेल मतदान

    0
    296
    पटना, मिथिला मिरर: बिहार राज्य निर्वाचन आयोग सोमदिन नगर निकाय चुनावक कार्यक्रम जारी कए देलक। कार्यक्रमक अनुसार पटनाकें छोड़ि कय सब जिलामे 14 मई कए मतदान कराओल जाएत। पटनाकें सबी नगर निकायके संग छपरा नगर निगम आ कटिहार ;जिलाक बारसोई नगर पंचायतक लेल 28 मई कए मतदान होएत।
    सात अप्रैल कए अधिसूचना जारी होइतहि नामांकन शुरू भय जाएत। राज्य निर्वाचन आयुक्त अशोक कुमार चौहान आ सचिव दुर्गेश नंदन कहलनि जे, 14 मई कए होबय वला मतदानक लेल सूचनाक प्रकाशन सात अप्रैल कए कएल जाएत।
    प्रत्याशी सात अप्रैल सं 15 अप्रैल तक नामांकन पत्र दाखिल करत। नामांकन पत्रक जांच 19 सं 20 अप्रैल तक होएत। नाम वापसी’क तिथि 20 अप्रैल निर्धारित कएल गेल अछि। 25 मई कए उम्मीदवारक अंतिम सूची प्रकाशित कए सिंबलक आवंटन कए देल जाएत। 14 मई कए मतदान आ 16 मई कए मतगणना कराओल जाएत।