नगर निकायकें चुनावक लेल आए सं दाखिल होएत नामांकन पत्र

    0
    329

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे नगर निकाय चुनावक लेल 19 अप्रैल बुधदिन कए अधिसूचना जारी होएत आ अहिकेँ संग चुनावी क्षेत्रमे आदर्श आचार संहिता लागू भए जाएत। पहिल चरणमे कुल 101 निकायके लेल 23 मई कए मतदान कएल जाएत।

    राज्य निर्वाचन आयोग सं सचिव दुर्गेश नंदन कहलनि जे, अधिसूचना जारी हेबाक संग अहि निकायमे आदर्श आचार संहिता लागू भए जाएत, जे निर्वाचनक प्रक्रिया समाप्त हेबा तक जारी रहत। पहिल चरणमे जाहि नगर निकायमे वोटिंग होएत ओहिमे सात नगर पालिका, 31 नगर परिषद् आ 63 नगर पंचायत शामिल अछि।

    पटना आ छपरा नगर निगम आ बाढ़, खगौल, दानापुर, मोकामा, मसौढ़ी, फुलवारीशरीफ, बख्तियारपुर नगर परिषद आ मनेर पंचायत तथा कटिहारके बारसोई नगर पंचायतक लेल दोसर चरणमे 4 जून कए मतदान होएत।