नीतीश देलनि थानेदार के चेतावनी, काज नहि त नौकरी छोरु

    0
    290

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पुलिस अफसर सब के चेतावनी दैत कहलनि जे पुलिस अफसर आ पुलिस अधिकारी शराबबंदी कानून के सख्ती स लेबा मे ना-नुकर कय रहल छथि ओ नौकरी छोड़ि देथु।

    राजधानी पटना मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे नीतीश कहलनि जे, पुलिस अधिकारी दिस स धमकी देल जा रहल अछि जे थाना प्रभारी नहि रहय चाहैत छी। यदि हुनकर ई मंशा छन्हि त नहि रहथु थाना प्रभारी। मुदा बिहार मे बनल अहि कानूनक सख्त स पालन भए क रहत। नीतीश कहलनि जे, हम ई कानून दिखाबाक लेल नहि अनलहु।

    मुख्यमंत्री कहलनि जे, जनता हमरा सरकार चलेबाक लेल चुनलाह, हम सरकार चलेबे करब। ओ जोर दैत कहलनि जे, शराबबंदी लागू भय चुकल अछि, ताहि दुआरे अहि मे कोनो तरहक ढिलाई संभव नहि। नीतीश कुमार कहलनि काज नहि कय सकैत छी त थाना प्रभारी नहि रहू।

    नीतीश कहलनि शराबबंदी कानूनक संबंध मे हमरा सुझाव दिअ, निक सुझाव पर सरकार ध्यान देत। ओ कहलनि कानून मे त संशोधन होइते रहैत अच्छी।