देश धूमाधाम स मना रहल अछि दीवाली

    0
    317

    दिल्ली,मिथिला मिररः संपूर्ण मैथिल सह देशवासी के मिथिला मिररकें दिस सं दीयाबातीक हार्दिक शुभकामना। अपने सबहक जीवन सं अंधकार दूर भए जाय आ प्रकाश सं जीवन दिवारी जेना चमकैत रहै। दीवालीक मौका पर भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी भारत-चीन सीमा पर हिमाचलक माणा पोस्ट पर जा भारतीय-तिब्बत पुलिस बलक जवान संग दीयाबाती मनौलनि। देशक राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी, उपराष्ट्रपति हामीद अंसारी, यूपीए अध्यक्ष सोनिया गांधी, बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार देश सह बिहार वासी के दीवालीक बहुत-बहुत शुभकामना देलनि।
    दीवालीक मौका पर पूरा देशमे प्रशासनिक व्यवस्था चुस्त-दुरूस्त करवाक आदेश विभिन्न जांच एजेंसी आ केन्द्र एवं राज्य सरकार द्वारा देल गेल अछि। दीवालीक मौका पर संभावित आतंकी हमला के देखैत देश के विभिन्न राज्यमे हाई अलर्ट जारी कैल गेल अछि। देशक राजधानी सहित देशक समस्त पैध राज्यमे प्रशासन सड़क पर चलि रहल वाहनकें सघन तलाशी लय रहल अछि। समस्त मिथिला सह देशवासी स मिथिला मिरर आग्रह कय रहल अछि जे दीवालीक मौका पर संयम स त्योहार मनाबी आ बेसी प्रदूषण बला पटाखा नहि छोड़ी कारण प्रकृतिक रक्षा केनाइ हमर अहांक कर्तव्य अछि जेकर निर्वहन क हमरा लोकनि एकटा जिम्मेदार नागरिक बनी।
    मिथिलाक परिपेक्षमे रविदिन दिनहि सं नेन्ना सबमे अति उत्साह देखय लागल छल। जहिना-जहिना दिन ढलैत गेल ओहिकें बाद दीवालीक तैयारी सेहो अंतिम चरणमे जाए लागल। दनाने-दनाने बुढ़-पुराण लोकनि उकौरी बनावैत देखना गेलाह, त संध्याकाल भगवती घर सं उक फेरब शुरू भेल आ अपना आस-पड़ोसमे जा अन्न-धन लक्ष्मी घर आउ, दालीद्रा बाहर जाउ कें मंत्रक उच्चारण सं वातावरण गुंजयमान होइत रहल।