आदर्श विद्यालयकें खुजल पोल, पढ़ेबाक बदले सुतल भेटलाह शिक्षक

    0
    492

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: अनुमंडल अधिकारी आवासके समक्ष स्थित मध्य विद्यालय हनुमान नगरमे शिक्षक टेबुल पर सुतल पाओल गेलाह आ बच्चा खेलाइत छल। ओतहि पदस्थापित आधा सं अधिक शिक्षक विद्यालय सं गायब पाओल गेलाह। मध्याह्ण भोजनक बाद दूपहरमे विद्यालय प्रांगणमे मात्र 100 विद्यार्थी छल। जहन कि उपस्थिति पंजीमे 271 विद्यार्थिक उपस्थिति दर्ज छल।

    क्षेत्रक आदर्श विद्यालमे गिनल जाए वला अहि विद्यालयमे 574 छात्र-छात्रा नामांकित अछि। जाहिकें लेल 18 शिक्षक पदस्थापित अछि। हाल ई अछि जे, विद्यालयकें प्रधानाध्यापक विष्णुकांत यादव सेहो बैंक गेल छलाह। एकटा शिक्षिका विशेष आकस्मिक अवकाश पर छली।