मुजफ्फरपुर जेल मे छापेमारी के दौरान मोबाइल बरामद

    0
    339
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: शहीद खुदीराम बोस केंद्रीय कारा मे एक बेर फेर मोबाइल बरामद भेल अछि। अहि बेर जेल प्रशासन के औचक निरीक्षण के दौरान बंदी वार्डक बाहर झाड़ी सं से लावारिस अवस्था मे मोबाइलक बरामदगी भेल अछि। काराधीक्षक सत्येंद्र कुमार मोबाइल बरामदगी के प्राथमिकी मिठनपुरा थाना मे दर्ज करौलनि अछि।
    सूत्रक अनुसार मोबाईल वार्ड नंबर-16 के समीप झाड़ी सं भेटल अछि। बृहस्पति दिन राति मे काराधीक्षक सत्येंद्र कुमार के नेतृत्व मे जेलक भीतर वार्ड मे तलाशी अभियान चलाओल गेल। अहि दौरान वार्ड संख्या-16 के बाहर झाड़ी सं लावारिस अवस्था मे एकटा माेबाइल बरामद भेल।
    निरीक्षण के दौरान मोबाइल मे सिम या चार्जर नहि छल। मोबाइल बरामद हेबाक बाद वार्ड नंबर-16 तथा अहि के आसपासक वार्डक सघन तलाशी लेल गेल। हालांकि अहि के बाद अन्य कोनो आपत्तिजनक सामान नहि बरामद भेल।
    ज्ञात हो कि एक महिना पहिने सेहो एकटा मोबाइल बरामद कायल गेल छल। एक माह पूर्व  जिलाधिकारी तथा एसएसपी एकटा टीमक गठन कय औचक छापेमारी के निर्देश देने छल।