मिथिलाक गौरब ‘पाग’ बनल अंग्रेजी शब्दकोष ‘अर्बन डिक्शनरी’क हिस्सा

    0
    372

    दिल्ली-मिथिला मिररः एखन धरि प्रायः हिन्दी सहित आन-आन भाषाकें समय दर समय अंग्रेजी शब्दकोषमे जगह देल जाइत रहल अछि मुदा शायद इ पहिल बेर अछि जे कोनो मैथिली शब्दकें कोनो अंग्रेजी शब्दकोष सम्मान दैत मैथिली शब्दकें अपना शब्दकोषमे शामिल केलक अछि। 17 जून 2016 केर दिन अहि लेल खास रहल जे ‘अर्बन डिक्शनरी डाॅट काॅम’ अपना शब्दकोषमे ‘पाग’ शब्दकें जोड़ि करोड़ों मैथिल समाजकें गरवांन्वित हेवाक अवसर प्रदान केलक।
    पाग नहि सिर्फ एकटा शब्द थिकैक अपितु संपूर्ण मिथिला आ मैथिलक आन, बान ओ शान मानल जाइत अछि। एहनमे कोनो आन शब्द सं इतर जौं पागकें अंग्रेजी शब्दकोषमे जगह देल गेल हो त फेर एकर सांस्कृतिक महत्व सेहो बहुत बेसी बढ़ि जाइछ। मिथिलालोक फाउंडेशन आ पांग बचाउ अभियानक संस्थाक, देशक जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा केर अथक प्रयास सं ‘पाग’ शब्दकें अर्बन डिक्शनरीमे शामिल कराओल गेल अछि।
    मिथिला मिरर सं बातचीत करैत डाॅ. झा कहला जे इ एकटा पैघ उपलब्धि थिक जे नहि सिर्फ पाग बचाउ अभियानकें आओर सबलता प्रदान करत अपितु संपूर्ण मिथिला-मैथिलीकें मान-सम्मानकें विश्व पटल पर आओर बेसी प्रखरता सं राखत। डाॅ. झा कहला जे हमस ब पाग मादे विश्व समुदायकें इ संदेश देबय चाहैत छी जे हमरा लोकनिक संस्कृति विश्वक सब सं पैघ आ पुरान संस्कृति अछि आ अहिमे जे कियो गोटे आबय चाहैत छथि हमरा सब हुनका हृदय सं स्वागत करवैन्ह।