केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह नवादा मे निकाललनि तिरंगा यात्रा

    0
    273

    नवादा, मिथिला मिरर: नवाद के रोह मे रविदिन केंद्रीय राज्य मंत्री गिरिराज सिंहक अगुवाई मे तिरंगा यात्रा निकालल गेल। यात्रा रोह प्रखण्डक सीमा पर स्थित गोइठाडीह गाम सं शुरू कायल गेल।

    मोटरसाइकिल पर सवार हाथ मे तिरंगा लेने सैकड़ों समर्थक भारत माताक जयकारा लगा रहल छल। रोह आ रूपौ बाजार होईत यात्रा यात्रा कौआकोल पहुंचल। लोकनायक जयप्रकाश नारायणक कर्मभूमि सेखोदेवरा आश्रम मे जेपी के मूर्ति पर माल्यार्पण सेहो केलनि।