लापरवाही के आरोप मे 23 गोट पुलिसकर्मी के बर्खास्त केलनि मनु महाराज

    0
    289

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटनाक एसएसपी मनु महाराज सुरक्षा कार्य मे लापरवाही के आरोप मे 23 गोट पुलिसकर्मी के सस्पेंड कय देलनि। हालांकि एखन धरि सस्पेंशन के विस्तृत कारणक खुलासा नहि भेल अछि। मुदा अहि कार्रवाई के लय समुच्चा पटनाक पुलिस महकमा मे हड़कंप मचल अछि।

    गौरतलब अछि जे, पटना मे पांच जनवरी क प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आबय वला छथि। मोदी पटना मे 350’म प्रकाशोत्सव के कार्यक्रम मे भाग लेताह। मोदीक कार्यक्रम के लय लगातार एसपीजीक जवान बैसक कय रहल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, एसएसपी के अहि 23 पुलिसकर्मीक विषय मे कंप्लेन भेटल छल, कि ई सुरक्षा कार्य मे लापरवाही बरति रहल अछि। जाहि के बाद कार्रवाई करैत एसएसपी 23 जवान के निलंबनक फरमान सुना देलनि।