पटना के मगध महिला कॉलेज मे छात्रा के जींस टी-शर्ट पहिरबा पर रोक

    0
    355

    पटना, मिथिला मिरर: मगध महिला कॉलेज प्रशासन एकटा बेतुका फरमान जारी करैत छात्रा के कॉलेज मे जींस, टी-शर्ट आ लेगिंग्स पहीर कय अयबा स रोक लगा देलक। शुक्रदिन छात्रा सब के नोटिस बोर्डक माध्यम स ई सूचना देल गेल कि 16 अगस्त स छात्रा सब के सलवार-कुर्ता, दुपट्टा एवं ब्लेजर मे कॉलेज आबय पड़त। यदि कोनो छात्रा अहि आदेश के उल्लंघन करतीह त हुनका पर 1000 रुपैयाक जुर्माना लगाओल जायत। जुर्माना नहि देला पर महाविद्यालय स नाम काईट देल जायत। ई नियम स्नातक, स्नातकोत्तर, रेगुलर, व्यावसायिक आ स्ववित्त पोषित कोर्सक सब छात्रा पर लागू कायल जायत।

    सूत्रक अनुसार शुक्रदिन एकटा छात्रा कॉलेज मे जींस आ टी-शर्ट पहीर कय आयल छली, प्राचार्य ई देख क छात्रा के डपटलनि। एकरा बाद कॉलेज के ड्रेस कोड के सख्ती स लागू करबाक फैसला कायल गेल।हालांकि ई पहिल मौका नहि अछि जे कॉलेज एहन फैसला सुनेने हुए। पहिनहु एहेन नियम बनाओल जा चुकल अछि मुदा एकर पालन किछुए दिन धरि भेल।