मधुबनी सदर अस्पताल मे पोस्टमार्टम कक्ष मानक के अनुरूप नहि

    0
    325

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी सदर अस्पताल स्थित पोस्टमार्टम कक्ष सुविधा विहीन अछि। ने त पोस्टमार्टम कक्ष वातानुकूलित अछि आ ने लावारिस लहास के रखबाक कोनो विशेष व्यवस्था।पोस्टमार्टम कक्ष कोनो स्तर सं मानक के अनुरूप नहि अछि। परेशानी तहन अधिक बढ़ि जाइत अछि जहन कोनो लावारिस लहाश पोस्टमार्टम हाउस मे आनल जाइत अछि। लावारिस लहाश के कम सं कम 72 घंटा धरि रखबाक प्रावधान अछि।

    अहि कक्ष मे लहास रहला पर पूरा अस्पताल परिसर सड़ांध सं मह्कैत अछि। जाहि सं अस्पताल परिसर के आवास मे रहय वला कर्मी सं लय अस्पताल आबय वला लोक उक्त दुर्गंध सं परेशान भय जाइत अछि। अस्पताल प्रबंधन अहि परेशानी सं अवगत होइतो बेखबर अछि।

    हद त तहन होईत अछि जहन आनल गेल लहासक पोस्टमार्टम के लेल परिजन सं ग्लब्स आ पाॅलीथीनक व्यवस्था करबाक लेल कहल जाइत अछि। ओतहि लावारिस लहासक पोस्टमार्टमक लेल संबंधित थाना सं आयल कर्मी सं अहि समानक कीमत वसूलल जाइत अछि।