दिल्ली सं मधुबनी आबि रहल बस दुर्घटनाग्रस्त, छह गोटेक मौत

    0
    379

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरमे रविदिन एकटा सड़क हादसामे छह गोटेक दर्दनाक मौत भए गेल। दुर्घटना बोचहा स्थित एनएच 57 पर भेल। जानकारीक मुताबिक दिल्ली सं मधुबनी आबि रहल बस जलसा लाइन होटलक समीप अनियंत्रित भए खाईदमे पलटि गेल। बसके पलटला सं मौका पर पांच गोटेक मौत भए गेल, जहन कि एकगोटे अस्पतालमे इलाजके दौरान दम तोड़ि देलनि।

    हादसामे मृतकक संख्या बढ़बाक आशंका अछि। घटनाक बाद स्थानीय लोकक मददि सं मौका पर राहत आ बचावक काज काएल गेल। दुर्घटनामे लगभग एक दर्जन लोक गंभीर रूप सं घायल अछि।

    बस पर 35-40 लोक सवार छल, जाहिमे सं बहुतोक हालत गंभीर अछि, इलाजक लेल एसकेएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल अछि। पुलिस क्रेनक मददि सं बसकें निकालल गेल।