मधुबनी मे दहेजक कारने गर्भवती नाबालिग के घर सं भगाओल गेल

    0
    265

    मधुबनी, मिथिला मिरर: 14 सालक नाबालिग लड़की सं पहिने प्रेम, फेर परिवार तथा गामक लोक के समक्ष राजी ख़ुशी विवाह आ मात्र दू महिना बाद दहेज नहि देबाक कारने गर्भावस्था मे नाबालिग के पीट कय घर सं भगा देलक। नाबालिग अभागिन के पीड़ा एतहि नहि समाप्त भेल, सासुर सं जहन नहिरा आयल त ओतहु घर मे रखबा सं अहि दुआरे मना कय देल गेल जे, गामक लोक मां-बाप पर बेटी के घर मे नहि रहय देबाक दबाव देलक।

    नाबालिग लड़की कोनो तरह दू दिन धरि गामक बाहर एकटा स्कूल पर ठंड मे दू राति गुजारलक। बाद मे अहि बातक जानकारी बाल कल्याण समिति के भेटल त पीड़िता के उठा कय सदर अस्पताल आनल गेल। अहि मे स्थानीय पुलिस प्रशासनक भूमिका एखन धरि नकारात्मक रहल अछि।

    मामला पतौना ओपी क्षेत्रक बेलौंजा गामक अछि। जतय एकटा नाबालिग लड़की रीमा (उम्र 14, काल्पनिक नाम) के संग गामक चंदन कुमार नामक युवक प्रेम जाल मे फंसा लेने छल। अहि बातक भनक जहन गामक लोक के लागल त परिवार वला दुनु के विवाह विगत 16 अक्तूबर क करा देलक। बताओल जा रहल अछि जे, अहि विवाह मे स्थानीय चौकीदार सेहो शामिल छल।