इकबाल अंसारी बनला पटना उच्च न्यायालयक मुख्य न्यायाधीश

    0
    490

    पटना, मिथिला मिरर: न्यायमूर्ति इकबाल अहमद अंसारी पटना उच्च न्यायालय के मुख्य न्यायाधीशक रूप मे आय शपथ ग्रहण केलनि संगहि पदभार संभारलाह। मुख्य न्यायाधीश के राज्यपाल रामनाथ कोविंद पद और गोपनीयताक शपथ दियौलनि।

    अहि स  पहिने इकबाल अंसारी कार्यकारी मुख्य न्यायधीश के तौर पर कार्यरत छलाह। अंसारी अगस्त 2015 यानि तकरीबन 11 महीना स कार्यकारी मुख्य न्यायाधीश के पद पर कार्यरत छलाह। सूत्रक अनुसार केंद्र सरकार हिनकर नियुक्ति पर सर्वोच्च न्यायालयक कॉलेजियम अनुशंसा पर पहिनहि मोहर लगा देने छल। शपथ ग्रहण के दौड़ान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संग बहुत रास बुद्दिजीवी वर्गक लोक उपस्थित छलाह।