आंगनबाड़ी सेविका-सहायिकाक आंदोलन उग्र, सीडीपीओ कार्यालम मे लगाओल गेल ताला

    0
    294

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: वेतनमानक मांग समेत अनेक समस्याक निदानक लेल आंगनबाड़ी सेविका-सहायिकाक आंदोलन उग्र भय गेल अछि। मुजफ्फरपुर शहर सं प्रखंड मुख्यालय धरि एकर आक्रोश देखल गेल। बृहस्पति दिन आंगनबाड़ी कर्मचारी संघक महानगर इकाई सीडीपीओ सदर कार्यालय मे तालाबंदी केलक। आंदोलनक नेतृत्व महानगर अध्यक्ष कुमारी ममता एवं सचिव ज्योति कुमारी केलनि।

    महानगर अध्यक्ष कहलनि जे, आंगनबाड़ी कर्मी के सरकारी कर्मी घोषित करैत वेतनमान भेटबाक चाही। सेविका-सहायिका के दोगुना मानदेय भत्ता भेटबाक चाही। आंगनबाड़ी कर्मी स छह गोट सेवा लेल जाए। सचिव कहलनि जे, निरीक्षण के बहाने आर्थिक व मानसिक प्रताड़ना बंद हेबाक चाही।

    ओ कहलनि जे, बकाया मानदेय के भुगतान व हड़ताल अवधिक कटौतीक राशिक समायोजन हेबाक चाही। प्रदर्शनक दौरान सरकार एवं समाज कल्याण मंत्रीक खिलाफ जमिकय नारेबाजी कायल गेल।

    सात सूत्री मांगक लेल प्रदेश भरिक जिला मे चरणबद्ध आंदोलन भय रहल अछि। 28 फरवरी कय सब जिला मुख्यालयक समक्ष प्रदर्शन कायल जायत। एकरा सफल बनेबाक लेल सब सेविका-सहायिका जुटि गेल छथि। ओतहि 27 मार्च कय मुख्यमंत्री कार्यालयक समक्ष अनिश्चितकालीन धरना प्रदर्शन कायल जायत।