मिथिला मिरर, पटनाः देशक प्रमुख निजी विमान सेवा इंडिगो एयरलाइंस एखन गंभीर विवादक घेरामे अछि। लगातार उड़ान रद्द होइत रहबाक कारण देशभरि मे यात्रिक नाराजगी तेजी सँ बढ़ि गेल अछि, आ कतेक प्रमुख हवाइ अड्डा पर यात्री सरेआम विरोध करैत देखल गेलाह। स्थिति एहन बनि गेल अछि जे लोकसभ घंटों धरि एयरपोर्ट पर इंतजार करैत रहलाह, मुदा इंडिगो द्वारा समय पर पर्याप्त सूचना नहि देल गेल। कनेक्टिंग उड़ान छूटि गेल, परिवार आ रोगीक यात्रा बाधित भेल, विद्यार्थी आ व्यावसायिक यात्रिक महत्वपूर्ण कार्यक्रम पर असर पड़ल, एहि संकटक सीधा प्रभाव हजारों लोकक दिनचर्या पर देखल गेल।
इंडिगोक अनुसार उड़ान रद्द होयबाक मुख्य कारण क्रू’क कमी, परिचालन मे कठिनाइ, तकनीकी बाधा आ किछु रूट पर अचानक बढ़ल यात्राक मांग अछि। हालांकि यात्री लोकनि मानैत छथि जे एयरलाइनक तरफ सँ सूचना देबा मे पारदर्शिता नहि अपनाओल गेल, जे पूरा असुविधाक मूल कारण बनल। स्थिति आओर जटिल तखन भेल, जहिया टिकटक मूल्य अचानक अप्राकृतिक स्तर तक बढ़ि गेल। सामान्य दिन मे 6 सँ 8 हजार टका मे उपलब्ध उड़ानक किराया 40 सँ 60 हजार टका तक पहुँचि गेल, जे यात्रीक असंतोष आ अविश्वास केँ आओर बढ़ा देलक।
एहि बढ़ैत हंगामा पर नागरिक उड्डयन महानिदेशालय (डीजीसीए) इंडिगो सँ विस्तृत रिपोर्टक मांग कएने अछि। सरकारक कहब अछि जे यात्रीक असुविधा आ अनियमितता सहन नहि कएल जाएत, आ उड़ान संचालनक पारदर्शिता अनिवार्य अछि। कतेको यात्री आरोप लगौने छथि जे इंडिगोक काउंटर पर सहायता उपलब्ध नहि छल, रिफंड प्रक्रिया सामान्य नहि छल, आ कर्मचारी स्वयं स्पष्ट जानकारी देबा मे असमर्थ रहलाह।
देशक कतेक एयरपोर्ट, दिल्ली, मुंबई, पटना, कोलकाता, हैदराबाद आ पुणेक हवाइ अड्डा पर यात्री विरोध करैत, भीड़ मे एकत्रित होइत आ इंडिगो सँ त्वरित समाधानक मांग करैत देखल गेलाह। सोशल मीडिया पर सेहो यात्री सभक शिकायतक वीडियो वायरल भेल, जाहि मे लोकसभ एयरलाइन पर लापरवाही, अव्यवस्था आ यात्रीक प्रति संवेदनहीन व्यवहारक आरोप लगौने छथि।
विशेषज्ञक अनुसार, ई संकट खाली इंडिगो तक सीमित नहि, बल्कि भारतक विमानन उद्योगक व्यापक समस्या उजागर करैत अछि, जेना कि कर्मचारीक कमी, बढ़ैत यात्रीक दबाव, टिकट मूल्य पर नियंत्रणक अभाव, आ निजी एयरलाइन पर अत्यधिक निर्भरता। इंडिगो देशक 50ः सँ बेसी बाजार हिस्सा धारण करैत अछि, ताहि कारण ओकर संचालन मे गड़बड़ी पूरा देशक हवाइ व्यवस्था पर भारी प्रभाव छोड़ैत अछि।
इंडिगो कहने अछि जे स्थिति जल्द सामान्य कएल जाएत, मुदा यात्रीक विश्वास डगमगायल अछि। जनता अपेक्षा करैत अछि जे एयरलाइन स्पष्ट जानकारी दिए, समयानुसार उड़ान चलावए, टिकट मूल्यक नियंत्रण करए आ यात्रिक प्रति मानवीय व्यवहार अपनावए। वर्तमान स्थिति विमानन सेक्टरक लेल अत्यंत गंभीर संकेत अछि, आ देखबाक बात ई अछि जे इंडिगो कतेक शीघ्र संकट सँ उबरैत अछि आ राष्ट्रव्यापी असंतोषक बीच अपन विश्वसनीयता पुनः स्थापित करैत अछि।





