मुजफ्फरपुर मे आइडीपीएल चालू करेबाक लेल बवाल

    0
    319

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: आइडीपीएल चालू करेबाक तथा एसएसबी के जमीन देबाक विरोध मे बेला व आसपासक लोक बृहस्पति दिन जमिकय हंगामा केलनि। प्रशासन व एसएसबी के खिलाफ नारा लगाओल गेल तथा टायर ज़रा कय दू घंटा सड़क जाम कय देल गेल जाहि सं आवागमन बाधित रहल। मौका पर पहुंचल बेला थानाध्यक्ष केशरीचंद स सेहो आक्रोशित लोक उलझि पड़ल। थानाध्यक्ष 28 नामजद व 50 अज्ञातक विरुद्ध थाना मे प्राथमिकी दर्ज केलनि।

    आइडीपीएल बचाउ संघर्ष समिति के बैनर तर काफी संख्या मे लोक सड़क पर उतरल। बियाडा कार्यालय के निकट टायर जला व सड़क जाम कय विरोध जताओल गेल। भड़कल लोक आइडीपीएल (इंडियन ड्रग्स एंड फार्मास्यूटिकल्स लिमिटेड) जल्द चालू करु, एसएसबी वापस जाउ व प्रशासन के विरोध मे नारा लगेलक। आंदोलन कय रहल लोक बियाडा कार्यालय के घेराव कय प्रदर्शन सेहो केलक।