आईएएस संजीव कुमार सिन्हाकें बिहार एसएससीक कमान

    0
    421

    पटना, मिथिला मिरर: संजीव कुमार सिन्हाकें बिहार एसएससीक नब अध्यक्ष बनाओल गेल। संजीव कुमार सिन्हा भारतीय प्रशासनिक सेवाकें अधिकारी छथि, जिनका आयोगक नब अध्यक्ष नियुक्त कएल गेल अछि। ओ 1986 बैचक अधिकारी छथि आ बिहारक सीनियर आईएएस ऑफिसरके तौर पर पहिचान रखैत छथि। संजीव वर्तमानमे बिहार मानवाधिकार आयोगक सचिवकें पदभार सेहो संभारि रहल छथि। बिहार एसएससी पेपर लीक केसक बाद सं नब अध्यक्ष बनेबाक कवायद चलि रहल छल।

    एसएससीक परीक्षाकें प्रश्न पत्र वायरल हेबाक मामला आयोगक चेयरमैन सुधीर कुमार, सचिव परमेश्वर रामक गिरफ्तारी भए चुकल अछि। दूनू अफसरक गिरफ्तारीके बाद विभागक ओएसडी आ आईएएस सीके अनिल सेहो महिना भरि सं लापता चलि रहल अछि।

    एहेनमे कार्यालयमे कामकाज ठप पड़ल छल। बीएसएससीक परीक्षा 5 फरवरी सं होबय वला छल। परीक्षाके पहिने व्हाट्सअपके माध्यम सं प्रश्नपत्र वायरल भेल छल।