मानव श्रृंखला के सफल बनेबाक लेल बैसक

    0
    400

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: 21जनवरी कय बिहार मे मध् निषेद के लय बनय जा रहल विशाल मानव श्रृंखला के सफल बनेबाक लेल किरतपुर प्रखंड अंतर्गत बैसक कायल गेल। बैसक मे अनुमंडल पदाधिकारी, प्रखंड विकास पदाधिकारी, प्रखंड प्रमुख, प्रखंड उपप्रमुख, प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी व प्रखंडक सब विद्यालयक प्रधानाचार्य मौजूद छलाह।

    बैसक मे मानव श्रृंखला के विषय मे सब के विस्तार सं बताओल गेल तथा अधिक सं अधिक लोकक भागीदारी सं मानव श्रृंखला के सफल बनेबाक बात कहल गेल। प्रखंड विकास पदाधिकारी द्वारा बताओल गेल जे, यदि कियो मानव श्रृंखला मे शामिल नहि होइत अछि त एकर मतलब जे, ओ शराब मुक्त बिहार स खुश नहि अछि। ओ कहलनि जे, यदि हम सब शराब मुक्त बिहार सं खुश छी त मानव श्रृंखला के सफल बनाबय पड़त।