सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: अंतरजातीय बियाह सं आक्रोशित लड़कीक परिजन लड़काक घर घुसि कए मारिपीट केलाक बाद घरमे आगि लगा देलक। जाहि सं समुच्चा घर जरि कए ख़ाक भए गेल। अहि घटनाक बाबत लड़काक मां गीता देवी द्वारा स्थानीय थानामे मामला दर्ज कए लड़कीक कक्का, गामक हुलास राय, शत्रुघ्न राय आ भाग्य नारायण रायकें आगजनीक आरोपमे नामजद केलक अछि।
स्थानीय लोकक अनुसार गामक स्व. जोधन रायकें बेटी सोनी आ फेकू महतोक बेटा राजीवकें बीच आपसी प्रेम छल आ दुनू अभिभावककें मर्जीक खिलाफ अंतरजातीय बियाह कए लेलक। लड़की आ लड़का दुनू पक्षक लोक मुंबईमे रहैत अछि। करीब डेढ़ वर्ष पहिनहि ई बियाह मुंबईमे भेल छल। थानामे दर्ज प्राथमिकीकें अनुसार राजीव अप्पन छोट भाई’क बियाहक लेल पत्नी सोनीक संग 22 फरवरी कए मुंबई सं गाम आएल छल।
राजीव आ सोनीकें एक संग गाममे देखि लड़की पक्षक लोक तमकि गेल। लड़की पक्षकें उपरोक्त आरोपी सब लड़काकें घर आबि दुनूकें गाम सं निकालबाक बात कहलक नहि त परिणाम भोगबाक बात कहलक। अहिकें बाद अहि घटनाकेँ अंजाम देल गेल।