मधुबनी मे जमीनी विवाद मे दस गोटे घायल

    0
    320

    मधुबनी, मिथिला मिरर: हरलाखी प्रखंड क्षेत्रक लहरनिया गाम मे जमीनी विवादक लेल घर मे घुसिकय मारिपीट करबाक मामला सामने आयल अछि। जानकारीक अनुसार रामशरण यादव, सूर्यकला देवी, कान्ति देवी, विल्लो देवी के ओहि गामक राहुल यादव, लोहा यादव, अमर सिंह सहित 10 गोटे बहुत बुरी तरहे मारि क जख्मी कय देलक अछि। संगहि गरदनि के हंसुली सेहो छीनी लेलक अछि।

    जख्मी लोकक ईलाज पीएचसी मे कायल जा रहल अछि। हरलाखी थानाध्यक्ष संजय कुमार पीड़ितक बयान पर मामला दर्ज कय लेलनि अछि। संगहि पुलिस मामलाक जांच कय रहल अछि।