बिहारक शिक्षा व्यवस्था एकदम चौपट अछि : गोपालजी ठाकुर

    0
    390

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बहेड़ीकें बरियाही रोडमे एकटा कोचिंग सेंटरक उद्घाटन करैत भाजपाक प्रदेश उपाध्यक्ष गोपालजी ठाकुर कहलनि जे, बिहारमे शिक्षा व्यवस्था पूर्णतः चौपट अछि। सरकारी स्कूलमे शिक्षाक हालत दिनोदिन खराब भेल जा रहल अछि। एहेनमे प्राइवेट संस्थानक सहारा लेनाए लोकक मज़बूरी अछि।

    ओ कहलनि जे, ई ककरो सं नुकाएल नहि अछि जे, सरकार बिहारमे शिक्षा व्यवस्थाकें मजाक बना देने अछि। बच्चाक भविष्य सं खिलवाड़ कए बिहारकें अशिक्षा आ गरीबी दिस धकेलल जा रहल अछि। परन्तु जनता आब बुझि गेल अछि, एकर जवाब आगमी चुनावमे जनता जोरदार तरीका सं देत। अहि मौका पर क्षेत्रक बहुतो गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।