बिहारक कॉलेज मे फ्री वाई-फाई सुविधा फरवरी सं, अश्लील चीज देखबा पर रहत पाबंदी

    0
    313

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक घोषणाक अनुसार फरवरी 2017 मे बिहारक कॉलेज आ यूनिवर्सिटी मे फ्री वाई-फाई भेटनाय शुरू भय जायत, मुदा अहि फ्री वाई-फाई के लेल किछु बंदिश सेहो लगाओल जायत। सरकार अहि वाई-फाई मे अश्लील सामग्री वला वेबसाइट के ब्लॉक कय देत। एतबहि नहि, पोर्न साइट्स के अलावा एहेन वेबसाइट अहि वाई-फाई जोन मे ब्लॉक रहत जे, शिक्षा या जानकारी स मेल नहि खायत हो।

    अहि के अलावा कैंपस मे वाई-फाई इस्तेमाल करबा पर डेटा लिमिट के व्यवस्था सेहो कायल जा रहल अछि। अहि सब मुद्दाक लेल बेलट्रॉन अप्पन काज शुरू कय चुकल अछि। बेलट्रॉन के मुताबिक बिहारक 300 कॉलेज आ 9 विश्वविद्यालय मे फ्री वाई-वाई के सुविधा उपलब्ध कराओल जायत।

    ज्ञात हो कि 9 दिसंबर क पूर्णियाक अप्पन निश्चय यात्रा मे नीतीश कुमार कहने छलाह जे, फरवरी 2017 तक बिहारक कॉलेज आ यूनिवर्सिटी मे फ्री वाई-फाई सुविधा उपलब्ध करा देल जायत।