दिल्ली-मिथिला मिररः भारत अपन 70म स्वाधीनता दिवस सोमदिन अर्थात 15 अगस्त 2016क मनौलक। भारतकें आजाद करेवामे बहुतो वीर सपूत अपन प्राणक बलि दय आइ भारतवंशीकें निचेनक सांस लेलाक अवसर देलनि अछि। इ देश चंद्रशेखर आजाद, सुभाष चंद्र बोस, भगत सिंह, लाला लाजपत राय, राजगुरू, सुखदेव, खुदीराम बोस, रामप्रसाद बिस्मिल, अशफ़ाक उल्लाह खां, ठाकुरा रोशन सिंह सहित नहि जानि कतेको एहन नाम जिनकर नाम उल्लेखक करब संभव नहि कारण इ सूची एतेक नमहर अछि जेकरा शब्दमे कहब संभव नहि अछि। भारतकें आजादी भेटलैक, मुदा भारत आजादीमे मिथिलाक जे योगदान रहल छल ओकरा कोना बिसरल जा सकैछ।
भारतीय स्वतंत्रता संग्राममे मिथिलाक्षेत्र सं शहीद सुरज नारायण सिंहक नामकें के बिसरि सकैत अछि मुदा एकटा एहनो सेनानी छथि जे देशकें आजादी आ अंग्रेजी हुकुमत सं लड़बामे अपन प्राणकें फांसी पर लटकेवा तक सं पाछू नहि हटलाह आ ओ मिथिलाक पहिल क्रांतिकारी बनवाक गौरव प्राप्त कैलनि। मुदा दुःखक बात त इ जे नहि ओहि क्रांतिकारीकें कोनो परिचय भेटल आ नहि केन्द्र ओ राज्य सरकार ओहिनाम पर कोनो तरहक घोषणा करब उचित बुझैत अछि। मुदा मिथिला मिरर ओहि नामकें अपने लोकनिक लेल आ देश-दुनियाक लेल आइ सार्वजनकि कए रहल अछि।
अमर शहीद रामफल मंडल केर संक्षिप्त जीवन परिचय
नामः अमर शहीद रामफल मंडल
पिताः गोखुल मंडल
माताः गरबी देबी
पत्नीः जगपतिया देवी
जन्मः 6 अगस्त 1924
ग्राम़पोस्टः मधुरापुर
थानाः बाजपट्टी
जिलाः सीतामढ़ी
राज्यः बिहारक मिथिला क्षेत्रमे
आरोपः 24 अगस्त 1942 कऽ बाजपट्टी चैक पर अंग्रेज सरकारकें तत्कालीन सीतामढ़ी अनुमंडलक अधिकारी हरदीप नारायण सिंह, पुलिस इंस्पेक्टर राममूर्ति झा, हवलदार श्यामलाल सिंह आ चपरासी दरबेशी सिंह कें गड़ासा सं काटि कऽ हत्या।
दिनांक 1 सितंबर 1942 कऽ रामफल मंडल कें गिरफ्तार कऽ सीतामढ़ी जेल पठाओल गेल।
कैदः भागलपुर केंद्रीय कारागार
कांड संख्याः 473/42
केसक सुनवाईः माननीय सी आर सैनी न्यायलय भागलपुर
फाँसीकः तिथि, दिनांक 23 अगस्त 1943, केंद्रीय कारागार भागलपुर
थ्ववाहः 16 वर्षक उम्रमे
फांसीः 19 बर्षक उम्र मे
जेल जीवनः 11 महीना
आब अहि सं बेसी दुःखक बात कि भए सकैत अछि जे मिथिलाक एहन सपूतक पहिचान एखनो तक लोकक मानस पटल सं दूर अछि आ अहि सं इतर कतेको एहन व्यक्ति छथि जे बिना किछु केने स्वतंत्रता संग्राममे हिस्सा लेवाक नाम पर भारत सरकार सं प्रतिमास टका उठा रहला अछि। मिथिला मिरर अहि मुद्दा कें उठौलक अछि आ अहि परिवारकें पूर्ण हक आ अधिकार दिआओत से वचन दए रहल अछि। मिथिलाक अहि शहीदकें मिथिला मिरर कें दिस सं नमन।
परिकल्पना एवं सहयोगः बिजय कुमार झा।