छापेमारी मे एफसीआई’क पचास बोरा गहूम बरामद

    0
    296

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर बाजार स्थित थाना गेटकें समीप एकटा आनाज गद्दी’क गोदाम सं मंगलदिन पुलिस भारतीय खाद्य निगम’क पचास बोरा गेहूम बरामद केलक अछि। पुलिस बरामद कायल गेल खाद्यान्न के पिकअप वैन पर लादिकय थाना लय अनलक। गुप्त सूचनाक आधार पर अवर निरीक्षक संजय कुमार उक्त गोदाम मे पुलिस बलक संग छापेमारी केलनि। जाहि मे भारतीय खाद्य निगम लिखल लगभग पचास बोरा गहूंम बरामद कय मामलाक जांच शुरू करबाक लेल प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी सुमित कुमार के सूचित कायल गेल।

    आपूर्ति पदाधिकारीक जांच मे सेहो भारतीय खाद्य निगमक बोरा निकलल अछि। एमओ द्वारा खाद्यान्न के पिकअप पर लादिकय थाना आनल गेल मुदा गोदाम कें सील नहि कायल गेल। जाहि सं स्थानीय लोक मे भारी आक्रोश देखल गेल। एमओ संजय कुमार कहलनि जे, खाद्यान्न देखबा सं लागैत अछि जे, किसान द्वारा ई खाद्यान्न बेचल गेल अछि। मुदा बोरा भारतीय खाद्य निगम के अछि ताहि दुआरे मामला संदेहास्पद लागि रहल अछि। ओ कहलनि जे, मामलाक जांच कायल जा रहल अछि, खाद्यान्न यदि भारतीय खाद्य निगम कें निकलल त कारोबारीक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कायल जायत।