बीडीओकें घेराव केलक परीक्षा सं वंचित छात्र

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मिथिला उच्च विद्यालय अस्थुआकें प्रवेश पत्र आ निबंधन रसीद सं वंचित दर्जनो मैट्रिकक परीक्षार्थी सोमदिन बीडीओकें घेराव केलक। छात्र सब प्रधानाध्यापकक कार्यशैलीके खिलाफ आवेदन सौंपि कय वैकल्पिक व्यवस्था करबाक गुहार केलक। छात्रा नेहा कुमारी, आइशा जबीं, रंजु कुमारी, शोभा कुमारी, निशा भारती, ज्योति कुमारी, पुनम कुमारी, सीमा कुमारी, नासरीन प्रवीण सहित अन्य छात्र सब बीडीओकें हस्ताक्षर युक्त ज्ञापन देलक।

    एक मार्च सं शुरू होभय वला वार्षिक परीक्षामे एडमिट कार्ड सं वंचित हेबाक मामलाकें गंभीरता सं लैत प्रखंड विकास पदाधिकारी डा. शशि प्रकाश डीएमकें प्रेषित मेल सं मामलाक जानकारी देलनि। बीडीओ कहलनि जे, छात्र हितमे हेडमास्टर द्वारा बरतल गेल लापरवाही व उच्चस्तरीय अनुशासन हीनताक लेल कठोर अनुशासनिक कारवाई कएल जाएत।

    दोसर दिस सिमरी बासुदेव मिश्र उच्च विद्यालयके छात्र पंकज कुमार मंडल, बबीता कुमारी, मों ईरशाद, अविनाश कुमार, कुंदन कुमार,पिंटू कुमार स्कूल परिसरमे हेडमास्टरके खिलाफ आक्रोश व्यक्त कय आवेदन देलक अछि।