प्रख्यात शिक्षाविद कृष्णकांत झा’क निधन

    0
    302
    दरभंगा, मिथिला मिरर-मणिकांत झा: प्रख्यात शिक्षाविद और अवकाश प्राप्त प्रधानाध्यापक कृष्णकांत झा’क निधन बुधदिन हुनकर पैतृक गाम मधुबनीक बेनीपट्टी प्रखंडक मनपौर गाम मे भय गेलनि। 84 वर्षीय झा अप्पन पाछु चारि पुत्र दू पुत्री सहित पोता-पोती, नाती-नतनी संग पुरा भरल-पुरल परिवार छोड़ि गेलाह।
    कृष्णकांत झा’क अंतिम संस्कार आय मनपौर मे कायल गेल। जाहि मे भारी संख्या मे ग्रामीण एवं आस-परोशक लोक भाग लेलनि तथा मुखाग्नि ज्येष्ठ पुत्र प्रभाकर झा देलनि। श्री झा के निधन स ईलाका मे शोक व्याप्त अछि। विद्वानगण आ शिक्षाविद सब कृष्णकांत झा’क निधन के अपूर्णिय क्षति बतौलनि।
    मृतक के पौत्र दरभंगा मे पदस्थापित बिहार पुलिस मे सब इंस्पेक्टर पंकज कुमार झा कहलनि जे, हमर बाबा अपना जमानक जानल-मानल फुटबॉल खिलाड़ी सेहो छलाह, तथा निक गोलकीपर के रूप मे प्रख्यात छलाह। श्री झा’क निधन पर शोक व्यक्त करय बला मे शांति कुमार ठाकुर, भोगेन्द्र नारायण झा, सूर्यनारायण झा, दिवाकर झा आदि’क नाम प्रमुख अछि।