ललित, प्रकाश आओर संजीव कें सरस्वती सम्मान

    0
    337

    दिल्ली,मिथिला मिरर-राहुल कुमार रायः दिल्लीक प्रथम उप-राज्यपाल पद्मविभूषण ‘डॉ.आदित्य नाथ झा’क स्मृति में रविदिन दिल्लीक रोहिणी स्थित टेक्निया इंस्टीट्यूट में आदित्य नाथ झा मेमोरियल ट्रस्ट द्वारा समाजक विभिन्न क्षेत्रक अलग-अलग विधा में अपन अभूतपूर्व योगदान दय रहल पुत लोकनि कें सम्मानित कैल गेलनि। कला, संस्कृति, पत्रकारिता आ खेल में अपन योगदान दय रहल व्यक्ति लोकनि कें अहि सम्मान सं सम्मानित कैल गेलनि। मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारायण कें पत्रकारिताक क्षेत्र में कैल जा रहल हुनक उल्लेखनीय प्रयास कें सराहैत संस्था हुनका वर्ष 2013-14 कें सरस्वती सम्मान सं सम्मानित केलकनि। संम्मान ग्रहण करैत ललित कहलनि जे अहि संम्मानक असली हकदार मिथिला मिरर कें समस्त टीम छथि, खास कय मिथिला मिरर कें वरिष्ठ सहयोगी प्रवीण नारायण चैधरी, संजय झा ‘नागदह’ मिथिला मिरर कें कार्यकारी संपादक, जुली रानी झा, सहायक संपादक, राहुल कुमार राय, सुजीत कुमार ठाकुर, प्रकाश झा, अनिल कुमार झा, संजीत कुमार मिश्र, विभय कुमार झा सहित समस्त मिथिला मिरर कें टीम आओर संपूर्ण पाठक लोकनि छथि।
    रंगमंच पर मिथिला-मैथिली कें जिया कय रखनिहार प्रसिद्ध रंगकर्मी आ मैलोरंग कें संस्थापक आ निर्देशक प्रकाश झा केर सेहो ‘सरस्वती सम्मान’ सं सम्मानित कैल गेलनि। एक दशक सं बेसी सं प्रकाश मैलोरंगक माध्यम सं रंगकर्म दुनिया में अपन एकटा अलग पहिचान बना चुकल छथि। दिल्ली, बिहार सहित विश्वक कतेको ठाम अपन टीमक अभिनय सं प्रकाश अपन कुशल नेतृत्व आ मैलोरंगक लोहा मनवा चुकल छथि। प्रकाश झा कें सरस्वती सम्मान भेटला सं भारत आ नेपाल में रंगकर्मक दुनिया में अपन महत्वपूर्ण योगदान दय रहल अलग-अलग व्यक्तित्व लोकनि प्रकाश कें बधाई आ शुभकामना दय रहला अछि।
    तहिना अभिव्यक्ति स्वतंत्रताक मंच आ सोशल हिन्दी मीडियाक प्रतिष्ठि नाम में सं एक ‘प्रवक्ता डॉट कॉम’ कें संपादक आ मिथिला राज्य गठनक लेल चलाओल जा रहल आंदोलनक प्रखर सेनानी भाई संजीव सिन्हा कें सेहो हुनक पत्रकारिता आ समाजिक क्षेत्र में कैल जा रहल सार्थक प्रयास कें सरहना करैत संस्था हुनका सेहो वर्ष 2013-14 कें सरस्वती सम्मान सं सम्मानित केलकनि। संजीव सिन्हा विभिन्न तरहक गतिविधिक माध्यम सं मिथिला सहित देशक अन्य-अन्य क्षेत्र में विभिन्न तरहक कार्यक माध्यम सं अपन एकटा खास पहिचान बना चुकल छथि। मिथिला मिरर सेहो सब सम्मान प्राप्त केनिहार व्यक्ति कें बहुत-बहुत बधाई आ शुभकामना दय रहल अछि।