पटना, मिथिला मिरर, स्नेहा झा: चुनाव आयोग तेजस्वी यादव केँ नोटिस भेजलक आ कहलक प्रेस कांफ्रेंस मे देखाओल गेल दोसर वोटर कार्ड नंबर आफिशियल नहि अछि, एकरा तेजस्वी यादव चुनाव आयोग केँ सुपुर्द करथि। बिहारक दीघा विधानसभाक निर्वाचन निबंधन पदाधिकारी अपना नोटिस मे कहला जे अहाँ अपना प्रेस कांफ्रेस मे इपिक संख्या RAB2916120 देखेलहुँ जे आधिकारिक रुपेँ जारी नहि कयल गेल अछि। अहि इपिक कार्डक विवरण आ मूल कार्ड आयोग केँ उपलब्ध कराबी जाहि सँ एकर गहन जाँच कयल जा सकय। एनडीए नेता सभक द्वारा सेहो तेजस्वी यादवक खिलाफ दू टा वोटर आइडी रखबाक मामला मे एफ आई आर करबाक मांग भ रहल अछि। जनतब मे होयत जे 1/8/25 क चुनाव आयोग द्वारा वोटर लिस्ट जारी कयल गेल छल आ तेजस्वी यादव ओहि लिस्ट मे अपन नाम कटबाक दावा केने रहथि जकर किछु कालक बाद पटना डीएम द्वारा लिस्ट जारी क तेजस्वी यादव केँ गलत बताओल गेल आ बूथ लिस्ट मतदान केन्द्र संख्या 204 बिहार पशु विज्ञान विश्वविद्यालयक पुस्तकालय भवन, क्रम संख्या 416 पर दर्ज छल तकर प्रमाण सेहो जारी कयल गेल।