डा. नेहाल बनलाह डब्ल्यूआईटी के निदेशक

    0
    262

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: उत्तर भारत के एकलौता महिला प्रोद्योगिकी संस्थान डब्ल्यूआईटी के व्यवस्था मे सुधार एबाक संभावना अछि। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा सोमदिन डा. एम. नेहाल के निदेशकक पद पर नियुक्ति केलनि। वर्तमान कुलपति के कार्यकाल मे विकल्प नहि भेटलाक कारण एखन धरि तीन टा निदेशक बनाओल गेल, मुदा कियो कुलपतिक कसौटी पर नहि ठाढ़ भय सकलाह।

    डा. नेहाल केन्द्रिय विश्वविद्यालय आ नालंदा खुला विश्वविद्यालय के कुलसचिव रहि चुकल छथि, संगहि नेहाल एलएनएमयू के विकास पदाधिकारी सेहो रहि चुकल छथि। हिनका पर्याप प्रशासनिक अनुभव अछि, संगहि शैक्षिनिक क्षेत्र मे सेहो ई जानल-मानल नाम छथि। कार्यभार संभारबाक बाद कुलपति हुनका बधाई देलनि।

    ज्ञात हो कि डब्ल्यूआईटी के स्थापना कुलपति के रूप मे डा. राममणी प्रसाद केने छलाह, जकर उद्घाटन तत्कालीन राष्ट्रपति डा. ए.पी.जे अब्दुल कलाम केने रहैथ।