अगिला महिना चालू भय जाएत दरभंगाक बाइपास

    0
    321

    दरभंगा,  मिथिला मिरर: जाम सं जंग कय रहल दरभंगाकेँ लेल महिला महीना राहत भेटबाक उम्मीद अछि। पिछला 10 साल सं इंतजारक बाद 31 मार्च तक बाइपास चालू हेबाक संभावना अछि। बुधदिन जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह निर्माणाधीन बाइपास’क जायजा लेलनि। एक किलोमीटर तक शेष बचल निर्माण काजकें दस दिनमे पूरा करबाक बात कहल गेल अछि। ओतहि एकमीके समीप अतिक्रमणके कारण निर्माणमे परेशानी पर संज्ञान लैत डीएम स्थानीय लोक स मुलाकात कय अतिक्रमण हटेबाक बात कहलनि।

    ओ कहलनि जे, अगिला वित्तीय वर्ष सं ई चालू भय जाएत। ज्ञात हो कि शहरमे जामक समस्याकें देखैत डीएम एकर निर्माणमे व्यक्तिगत दिलचस्पी लेलनि आ समय-समय पर निर्देशित करैत रहलाह। उल्लेखनीय अछि जे, 2007मे तत्कालीन उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी दरभंगा पहुंचलाह त लोक अहि समस्या दिस ध्यान खींचल छल। ओहि समय ओ जल्दी दरभंगामे बाइपास बनेबाक घोषणा केने छलाह। अहिके बाद प्रक्रिया शुरू भेल छल।