दरभंगा मे पदाधिकारी आ जनप्रतिनिधि’क बीच क्रिकेट मैचक आयोजन

    0
    449

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत पाली गामक क्रिकेट मैदान मे 13 जनवरी कय प्रखंडक पदाधिकारी बनाम प्रखंडक जनप्रतिनिधि के बीच टी-20 क्रिकेट मैच खेलल  जायत।

    मैच मे प्रखंड विकास पदाधिकारी, अंचल अधिकारी, थाना प्रभारी तथा अन्य पदाधिकारी मौजूद रहताह। जनप्रतिनिधि मे प्रखंड उपप्रमुख, मुखिया गण, पंचायत समिति सहित बहुतो जनप्रतिनिधि भाग लेताह। प्रखंड स्तर पर एहेन तरहक आयोजन पहिल बेर भय रहल अछि।