दरभंगामे मीडिया क्रिकेट कप’क रंगारंग शुभारम्भ

    0
    368

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाकेँ डॉ. नागेन्द्र झा स्टेडियममे शनिदिन 10’म मीडिया कपकें विधिवत उद्घाटन कएल गेल। उद्घाटन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति प्रो. राज किशोर झा एवं कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयकें कुलपति डॉ. विद्याधर मिश्र संयुक्त रूप सं केलनि। आठ दिवसीय अहि प्रतियोगितामे कुल 8 टीम हिस्सा लए रहल अछि।

    अहि अवसर पर अप्पन संबोधनमे प्रो. राजकिशोर झा कहलनि जे, मीडियाकर्मीकें क्रिकेटक मैदानमे बैट एवं बॉलक संग संघर्ष करैत देखनाइ रोमांचित करत। ओ खेल सं जीवन स्तर ऊँच हेबाक बात कहलनि। ओतहि डॉ. विद्याधर मिश्र कहलनि जे, मीडियाकर्मीकें देखिकय बच्चा सब सेहो खेलक मैदान दिस आओत, जाहि सं जिलामे खेलकें आगू बढ़बामे मददि भेटत।

    कार्यक्रमक अध्यक्षता मीडिया स्पोर्ट्स क्लबके अध्यक्ष प्रहलाद कुमार कीलू केलनि। अहि अवसर पर महासचिव गुंजन कुमार, धर्मेन्द्र पांडेय, रामबाबू साह, दिलीप भगत, नसरीन नवाब, एस.एम. नवाब, दरभंगा महिला टीमक कप्तान अमिषा अंशु, मो. खुर्शीद आदि समेत सैकड़ो खिलाड़ी मौजूद छलाह।