बिहार मे अवैध रुपे बहाल 184 टा शिक्षिका बर्खास्त

    0
    313

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे अवैध प्रमाण पत्र पर बहाल भेल शिक्षक के मामला मे सीबीआई जांचक बाद 184 शिक्षिका के बर्खास्त कय देल गेल। जांच मे नियुक्ति के अवैध पायल गेलाक बाद बिहार सरकार निम्न अवर सेवा संवर्गक 184 शिक्षिका के बर्खास्त करबाक आदेश जारी केलक अछि।

    सूत्रक अनुसार 1980 आ एकर बाद विद्यालय निरीक्षिका बिहार, उप विद्यालय निरीक्षिका एवं जिला विद्यालय निरीक्षिका द्वारा नियुक्त 184 शिक्षिका के नियुक्ति सीबीआई जांच मे अवैध पाओल गेल।

    अहि मामला मे पटना उच्च न्यायालय के आदेश पर सीबीआई जांच केने छल। अहि जांचक आधार पर सरकार पटना प्रमंडल मे 85, तिरहुत मे 27, कोसी मे 12, दरभंगा मे 9, पूर्णिया मे 8, मगध मे 15, मुंगेर मे 17, भागलपुर मे 5, आ सारण प्रमंडल मे 6 गोट शिक्षिका के बर्खास्त करबाक आदेश जारी केलक अछि।