समस्तीपुर मे मंदिर सं 500 साल पुरान आठ गोट मूर्ति चोरी

    0
    303

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे अपराधी एक बेर फेर सं भगवान के निशाना बनौलक अछि। मामला वारिस नगर के दरसुर गाम स जुड़ल अछि। जतय रामजानकी मंदिर स अपराधी लगभग पांच सौ वर्ष स अधिक पुरान अष्टधातुक मूर्ति चोरी कय लेलक अछि।

    चोरी कायल गेल मूर्तिक कीमत लाखो रुपैया बताओल जा रहल अछि। जहन कि मूर्तिक संख्या आठ गोट बताओल जा रहल अछि। चोरी कायल गेल मूर्ति मे राम, जानकी, लक्ष्मण, भरत, शत्रुघ्न, हनुमान आ राधा-कृष्णक मूर्ति शामिल अछि। घटनाक सूचना पर वारिसनगर पुलिस मामलाक जांच मे जुटि गेल अछि।

    मंदिरक पुजारी अहि संबंध मे थाना मे अज्ञात अपराधिक खिलाफ मामला दर्ज करौलनि अछि। गांमक लोके के अहि बातक जानकारी ओहि समय भेटल जहन रविदिन भोर मे लोक पूजा करबाक लेल पहुंचल।जानकारीक अनुसार चोर वारदातक बाद मंदिरक दरवाजा बाहर स बंद कय देने छल आ भीतर राखल मूर्ति गायब छल।