मैथिली आओर पांच ठाकुर एवं ‘ओ कविता की’ केर पुस्तकक लोकार्पण केलाह राज्यपाल कोविंद

    0
    346

    पटना,मिथिला मिरर-मणिकांत झाः मैथिलीक सिद्धहस्त हस्ताक्षर आ साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित एवं मैथिलीक सर्वकालिक महानतम् रचनाकार स्व. डॉ. सुरेश्वर झा द्वारा लिखल गेल पोथी ‘मैथिली आओर पांच ठाकुर’ एवं गणेश झा द्वारा लिखल गेल काव्य संग्रह ओ कवित की केर पुस्तकक लाकार्पण पटनाक राजभवनमे महामहिम राज्यपाल रामनाथ कोविंद केर कर कमल सं कैल गेल। दरअसल मैथिलीक इतिहासमे पांच ठाकुरक़ कि योगदान रहल अछि, ओहि सं संबंधित पक्षकें अहि किताब मे विस्तार सं जिक्र कैल गेल अछि।
    अपने कें बता दी जे मैथिलीक इतिहास मे जाहि पांच ठाकुरक जिक्र बेर-बेर कैल जाइत रहल अछि हुनकर नाम अहि प्रकारेण अछि, ज्योतिरेश्वर ठाकुर, विद्यापति ठाकुर, ब्रजमोहन ठाकुर, कर्पूरी ठाकुर आ डॉ. सी. पी ठाकुर। अहि पांचो महान सपूतक मिथिला-मैथिलीक प्रति की योगदान रहल अछि अहि बातकें सजीव चित्रण करैत इ पुस्तक दीर्घकाल तक मैथिली-मैथिलीमे अपन छाप छोड़त। राजभवन केर सभागारमे आयोजित अहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि पद्मश्री डॉ. सीपी ठाकुर छलाह, कार्यक्रम अध्यक्षता मैथिलीक लेखकक स्तंभ इंद्रकांत झा केर छलनि त मंच संचालनक जिम्मेदारी मैथिलीक सर्वकालीन अमर गीतकार डॉ. चंद्रमणी झा केलाह त धन्यवाद ज्ञापन दरभंगा नगर सं विधायक संजय सरावगी केर छलनि।
    कार्यक्रममे भाजपा नेता हरि साहनी, दरभंगा सं विधायक संजय सरावगी, जाले सं विधायक जिबेश मिश्र, बेनीपुर सं पूर्व विधायक गोपालजी ठाकुर, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति साकेत कुशवाहा, डॉ. सुरेश्वर झा केर धर्मपत्नी रम्भा देवी, आकाशवाणी दरभंगा वरिष्ठ संवाददाता मणिकांत झा सहित अन्य लोकक सहभागिता रहल। अपन संबोधनमे राज्यपाल रामनाथ कोविंद मिथिलाक संस्कृतिकें विषयमे जमिकऽ वक्तव्य रखलाह। संगहि उपस्थित अतिथिकगणक प्रति अपन स्नेह आ आभार सेहो प्रकट केलाह।