‘अब जनता का शासन होगा, जन-जन का सिंहासन होगा’ चुनावी गीतक संग चुनावी मैदान मे उतरल जाप

0
879

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी बिगुल बाजी चुकल अछि। जन अधिकार पार्टी शनिदिन पटना स्थित कार्यालय मे चुनावी अभियान पर प्रेस वार्ताक आयोजन कएलक।  प्रेसवार्ता केँ दौरान सभसँ पहिने जापक चुनावी अभियान लेल एकटा वीडियो गीत लौंच कएल गेल।  गीतक बोल अछि ‘अब जनता का शासन होगा, जन-जन का सिंहासन होगा’  करीब पाँच मिनट केँ एहि गीतकक माध्यम सँ जापक विज़न केँ देखेबाक प्रयास कएल गेल अछि।  एतबे नहि एकटा लघु चलचित्रक माध्यम सँ पप्पू यादव केँ नेता नहि जनताक सेवक रूप मे प्रस्तुत कएल गेल अछि।  वीडियो मे पप्पू यादव द्वारा कोनो आपदा केँ समय लोक सभके केहन-केहन परिस्थिति केँ सामने करैत सेवा कएलाह ओकर चर्चा अछि।  वीडियो के अंत मे  जाप केहन बिहारक परिकल्पना क’ रहल अछि ओकर जानकारी देल गेल अछि।

जाप अध्यक्ष राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव प्रेस केँ संबोधित करैत कहलाह जे शुक्रदिन चुनाव आयोग द्वारा मात्र वर्चुअल आ डिजिटल रैलीक अनुमति देल गेल अछि ओहि केँ खिलाफ सोमदिन पार्टी कोर्ट मे जनहित याचिका यानि पीआईएल  दाखिल करत। पप्पू यादव दलिल देलनि जे बिहार मे 80 प्रतिशत लोकक लग इंटरनेट सुविधा नहि छनि। गरीब लोक लग टीवी, मोबाइल, लैपटॉप नहि अछि। एहन मे कोनो राजनीतिक दल अपन बात जनता धरि कोना पहुँचाओत। कतेको क्षेत्र मे बाढ़ीक कारण बिजली तक नहि अछि। चुनाव प्रचार कोना कएल जा सकैत अछि। एहन मे सरकार पर हमला करैत कहलाह जे एहन बुझना जा रहल अछि जे चोर दरबाजा सँ सरकार बनेबाक साजिस अछि।

पप्पू यादव एकबेर फेर नीतीश सरकार पर आरोप लगेलनि जे बिहार मे जातिवाद केँ नाम पर जहर फैला रहल छथि। भ्रष्टाचार आ अपराध चरम पर अछि। रोजगार आ शिक्षाक मोर्चा पर नीतीश सरकार फेल अछि। बिहार कोरोना सँ डरल अछि। एहन मे जनता सँ कोना संपर्क भ’ सकत। नीतीश सरकार किसान विरोधी अछि। सुश्सन केँ नाम पर जनता केँ मुर्ख बना रहल अछि नीतीश कुमार। चुनाव मे एहिबेर जनता सबक सिखाओत आ सत्ता सँ बेदखल क’ देत।