बिहारक सब जिला मे खुजत इंजीनियरिंग आ मेडिकल कॉलेज : नीतीश कुमार

    0
    294

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शिक्षाकें महत्वपूर्ण बतबैत कहलनि जे, बिहारक विकास तखनहि सभंव भय सकत जहन शिक्षाक स्तरक विकास होयत। अहि लेल हम शिक्षा के क्षेत्र मे लगातार विकास करबाक सोचलहुँ। नीतीश कुमार अप्पन छठम निश्चय यात्राक दौरान अप्पन गृह जिला नालंदा पहुंचल छलाह।

    ओतय चेतना सभा के संबोधित करैत ओ कहलनि जे, लड़की के विकासक लेल शिक्षा स जोड़नाई जरूरी अछि। महिलाक लेल राज्य के प्रत्येक अनुमंडल मुख्यालय मे पोलीटेक्निक कॉलेज आ एएनएम (सहायक नर्सिग मिडवाइफरी) स्कूल खोलल जायत। हम बिहार मे सब जिला मे इंजीनियरिंग काॅलेज खोलबाक योजना बना रहल छी। अहि के अलावा राज्य मे पांच नव मेडिकल कलेज सेहो खोलाल जायत।

    नीतीश कुमार कहलनि जे, अन्य राज्यक अपेक्षा बिहार मेे युवा के अधिक संख्या अछि। मानव संसाधन के बेहतर इस्तेमालक लेल सरकार युवा धरि उच्च शिक्षा सुनिश्चित करबाक लेल प्रयार कय रहल अछि।