समस्तीपुरकेँ एलकेभीडी कॉलेजमे मनाओल गेल ‘बिहार शताब्दी दिवस’

    0
    311

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: स्थानीय डॉ. एलकेभीडी कॉलेज ताजपुरमे शुक्रदिन बिहार शाताब्दी दिवस मनाओल गेल। कॉलेजक छात्र-छात्रा प्रभात फेरी निकालि अहि दिवसक शुरुआत केलनि। जाहिके बाद कॉलेज परिसरमे सभा’क आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता प्राचार्य डॉ. अनिल कुमार मंडल केलनि।

    अहि अवसर पर ओ कहलनि जे, बिहारक विकास शिक्षाक माध्यम सं संभव अछि। लोककें शिक्षाक लेल जागरूक करबाक आ शिक्षाक महत्व पर विस्तृत चर्चा केलनि। कार्यक्रमक संचालन डॉ. फरजान बानो आजमी केलनि। ओ कहलनि जे, बिहारमे विकासक दौर चलि रहल अछि, जाहिमे आम लोकक भागीदारी सं विकास संभव होएत।

    मौका पर डॉ. विनता कुमारी, पीटीआई यदुनाथ शरण यादव, डॉ. प्रभात रंजन कर्ण, डॉ. जेपी वैस्ययंत्री, सरयुग महतो, अजीत कुमार, रामाशंकर रंजन, संगम कुमारी समेत कॉलेज’क छात्र-छात्रा मौजूद छल।