पूंजीवादी निजाम के उखाड़बाक लेल ऑल इंडिया डेमोक्रेटिक यूथ ऑर्गेनाइजेशन केलक प्रदर्शन

    0
    318

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: देशक सब समस्याक जड़ि वर्तमान मे शोषण पर आधारित पूंजीवादी निजाम के उखाड़बाक लेल ऑल इंडिया डेमोक्रेटिक यूथ ऑर्गेनाइजेशन सरैया मुख्यालय पर प्रदर्शन केलक। ऑल इंडिया डेमोक्रेटिक यूथ ऑर्गेनाइजेशन के जिलाध्यक्ष अरविंद कुमार अप्पन संबोधन मे कहलनि जे, अहि तरहक समस्याक निदंक लेल छात्र आ युवा वर्ग के आगू आबय पड़त।

    संस्थाक जिला सचिव लालबाबू राय कहलनि जे, बेरोजगारी, अशिक्षा, महंगाई, भ्रष्टाचार, अश्लीलता, सहित तमाम समस्याक समाधान आंदोलने स संभव अछि। अहि के पूर्व मध्य विद्यालय मनिकपुरक प्रागण स गगनभेदी नाराक संग युवा जुलूस निकालल गेल, जाहि मे उमेश कुमार यादव, निशात कुमार, सरैया व्यवसायी संघक सचिव नन्हक साह, रामेश्वर पंडित, वेदप्रकाश सोनी, डॉ. अरुण कुमार गुप्ता, अनमोल कुमार, अर्जुन मांझी, नितेश कुमार, हरदेव राम, अनिल कुमार आदि शामिल छल।

    सरैया बाजार, मोती चौक होईत प्रखंड कार्यालय पहुंचल जुलूस सभा मे तब्दील भय गेल। सभाक कौशल भक्त, अनिल कुमार, डॉ. महेश ठाकुर चकोर संबोधित केलनि। ओतहि, प्रतिनिधि मंडलक रूप मे डॉ. टीएन सिंह, अनिल कुमार, सुरेश राम, रंजीत कुमार, राजन कुमार एवं मिंटू सिंह बीडीओ एवं सीओ के 17 सूत्री माग पत्र सौंपलनि।