पटना एम्स मे डॉक्टर केलक महिला नर्स आ स्टाफक संग मारिपीट

    0
    317

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक पटना एम्स मे एक बेर फेर जूनियर आ सीनियर रेसिडेंट डॉक्टर के दादागिरी देखबा मे आयल अछि। नर्सिंग स्टाफक संग एक दिन पहिने भेल मारिपीटक विरोध मे जहन नर्सिंग स्टाफ एम्स कॉलेज परिसर मे धरना दय रहल छल, ओहि समय किछु जूनियर डॉक्टर आ सीनियर रेसिडेंट डॉक्टर धरना स्थल पर पहुंचि कय नर्सिंग स्टाफक संग मारि पीट शुरू कय देलक।

    महिला नर्सिंग स्टाफ रोकबाक कोशिश केलक, मुदा डॉक्टर महिला नर्सक संग मारि पीट केलक। एम्सक जूनियर आ सीनियर रेजिडेंट डॉक्टरक दादागिरी सं नर्सिंग स्टाफ काफी दिन सं परेशान अछि। धरना कय रहल नर्सिंग स्टाफक आरोप अछि जे, डॉक्टर मारि पीट केलक आ जान सं मारबा धमकी सेहो देलक।

     पीड़ित लोक एम्स के स्टूडेंट ऑफ जूनियर डॉक्टर, जूनियर आ सीनियर रेजिडेंट डॉक्टर पर मारिपीटक आरोप लगबैत शिकायत दर्ज करौलक अछि। अहि घटनाक बाद पटना एम्स मे अहिके लेल जांच कमेटी गठित कायल गेल अछि। जांच मे दोषी पाओल गेल लोक पर कड़ी कार्रवाई करबाक बात कहल गेल अछि।